सोमवार, 28 मई 2012

सुर समाद भेल सुधीरम सुधीरम

अपन नियत समय स’ शुरू भेल मैलोरंग द्वारा आयोजित सुर समाद. जेना कि अपने लोकनि के पहिने स’ ज्ञात छल जे एहि प्रकारक सुर समादक आयोजन मैथिली संगीतक क्षेत्रमे एकटा अभिनव प्रयोग अछि जकर शुरुआत केलक अछि मैलोरंग. एहि महत्वपूर्ण आयोजनमे सहयोग केलन्हि मैथिली इंटरनेट नेट समाचार पत्र ईसमाद.   


एहि बेरक मैलोरंग सुर समाद के केन्द्रमे छल गीतकार सुधीर जीक मैथिली गीत रचना संसार. अपन पूर्व नियोजित दिनांक 27 मई, 2012 के साँझ 6.30 बजे स’ स्थानीय राजेन्द्र भवन, 210 दीनदयाल उपाध्याय मार्ग, दिल्ली – 02 के मुख्य प्रेक्षागृहमे समय स’ लगभग 15 मिनटक देरी स’ प्रारंभ भेल ई आयोजन. प्रेक्षागृह समय स’ पूर्वहि प्रेक्षकगण स’ भरि चुकल छल. दिल्लीमे मैथिल दर्शकक अपार उपस्थिति मैलोरंगक प्रति उपजल विश्वासक परिणाम अछि. जखन कि एही समय देशक महत्वपूर्ण आयोजन आई.पी.एल. के फाइनल मैच के छोड़ि ई लोकनि मैलोरंगक सुर समाद सुनबा लेल दिल्लीक गर्मी 45/46 डिग्रीक पारा के झेलैत प्रेक्षागृहके अपन उपस्थिति स’ भरि देने छलाह. सम्पूर्ण मैलोरंग परिवार अहाँ लोकनिक एहि प्रेमक प्रति नतमस्तक अछि.

मैलोरंग दिस स’ दर्शक लोकनिक स्वागत आ सुर समादक संचालनक भार एहि बेर हमरे भेटल छल. सब गोटेक स्वागत भेलन्हि. आयोजनक शुरुआत रंगकर्मी रंजू जीक प्रति हुनकर आत्माक शांति लेल एक मिनटक मौन स’ शुरू भेल. मैथिली रंगमंचक प्रति रंजूजीक लगाव, अभिनयमे हुनक लगाव, मैथिली मिथिला लेल शहादत आदिक चर्चा करैत नम आँखिए मैथिलीक प्रेक्षक लोकनि मैलोरंग संग मौन भ’ ठाढ भेलाह.

आब स्वागत कयल गेलनि आजुक साँझक मुख्य केन्द्र गीतकार सुधीरजीक. सुधीर जी आजुक समयमे सबस’ बेसी मैथिली गीत लिखनिहार आ मैथिल समाजमे कैसेट मे बजनिहार गीतकार छथि. मैलोरंग दिस स’ हिनकर स्वागत केलन्हि मैथिलीक सुप्रसिद्ध अभिनेता आ मैलोरंग रंगमंडल प्रभारी मुकेश झा. गीतकार सुधीर एहि तरहक पहिल आयोजन लेल मैलोरंग परिवारक भुरि भुरि प्रसंसा केलन्हि.

आब शुरू भेल सुधीरजीक गीत रचनाक श्रवण. प्रथमत: छल बिहार गीत जकरा स्वर देने छथि विकास झा आ देवानंद. एहि गीतके ट्रैक पर बजाओल गेल आ एहि ध्वनि पर नृत्य केलीह तनीशा, बॉबी आ ज्योति. तीनू बहिना एतेक सुन्दर नृत्य संयोजित करतीह से हमरो विश्वास नै छल मुदा अपन नृत्य भंगिमामे शास्त्रियताके समाहित क’ खूब नीक प्रस्तुति देलन्हि.

मंच पर अयलाह युवा पीढ़ीक अग्रणी आवाजक प्रणेता देवानन्द. सुधीर लिखित सरस्वती वन्दना आ बौआ-बच्चा लेल लिखल गीत दूध रोटी गूड़ि क’ खुआ दे... गौलन्हि.

मैलोरंग प्रति लगाव आ सुधीरजीक प्रति स्नेह के परिचायक बनलीह सुश्री ऋचा ठाकुर. अपन शारीरिक असमर्थताक बादो ऋचाजी एहि सुर समादमे अयलीह. हिनकर अदम्य साहसके अहाँ लोकनि सेहो सलाम करबनि. ऋचाजी के प्रेक्षागृह स’ बाहर हुनकर गाड़ी स’ उतारल गेलन्हि एकटा कुर्सी पर आ सब लोकनि हुनकर एहि कुर्सी के उठा क’ मंच पर अनलाह आ मंच स’ ऋचाजी अपन खनकैत आवाजमे गीत गौलन्हि. कनियो क्लेश नै छलन्हि हुनकर मुखमंडल पर अपितु हुनक मुँहक आभा आरो मोहित करैत छल. जखनि ऋचाजी के मंचपर आनल गेलन्हि सम्पूर्ण प्रेक्षक लोकनि ठाढ़ भ’ क’ हिनकर स्वागत केलथि. ऋचाजी दूटा गीत गौलीह : सिहकि क’ पूर्वा वदन सिहराबै... आ दोसर छल कहबौ कि बहिना बेरिन भेल कंगना... सुन्दर गीत रचना आ ओहने सुन्दर आवाज. सुधीरजीक प्रति लगाव आ आगू बैसल मैलोरंगक सुधि प्रेक्षकक स्नेह स’ तृप्त भ’ ऋचाजी आरो गीत गाब’ चाहैत छलीह मुदा समयाभावक कारण ई संभव नै भ’ सकल.

आब मंच पर अवतरित भेलाह गायक सुनील कुमार पवन. ई संयोगे छल जे आजुक दिन सुनील जीक जन्म दिन सेहो चलन्हि. मैलोरंग परिवार दिस स’ हिनका जन्मदिनक बधाई सेहो देल गेलन्हि. सुनील पवनजी मंचपर अपन हारमोनियम ल’ बैसलाह आ सुधीर जीक रचना से अछि माँ के आँचर...  आ बेटी के जनम स’ डेराय के... गौलन्हि. प्रेक्षागृह के अपन तान स’ शास्त्रीय गायन दिस मोड़ि लेलाह.

सुश्री कुमकुम मिश्रा जी जखन मंचपर ठाढ़ भेलीह त’ हुनकर गीत आबि जाउ कटनी मे गाम हेयौ सजना... सुनि युवा प्रेक्षक लोकनि झुमि उठलाह. मंचपर कुमकुम जीक उपस्थिति आकर्षक छल. अपन ध्वनिमे अलग अलग टोन के खूब नीक जेना समाहित केने छलीह. प्रेक्षक लोकनि के आरो गीत सुनबाक इच्छा छलन्हि संगहि कुमकुम जी के सेहो आरो गीत गेबाक मोन रहन्हि मुदा समयाभावक .... हिनका बेर बेर सुनबाक मोन मैलोरंग आ हिनकर प्रेक्षक दुनू लोकन्हि छनि. कुमकुम जीस’ मैलोरंग परिवार माफी लैत कार्यक्रम आगू बढौलक. 

आब मंचपर स्वागत भेलन्हि मैथिली गीतक हरफनमौला विकास झाक. विकास जी मैलोरंग मंच पर आरो कतेक बेर आबि चुकलाह अछि. मैलोरंग प्रति हिनकर लगाव अत्यधिक छनि. अपन तानमे सुधीरजीक रचना दिल्ली मुम्बई आ आसाम...  गौलाह. गीत समकालीन छल. एकरे संग विकास जी एकटा जिंगल सेहो गेलन्हि ... बिन्देसरा बीए पास... मस्त आवाजक आ सुन्दर मंच ज्ञान छनि विकासजी मे.

ककरो डॉक्टर ककरो अफसर... गीत ल’क’ मंचपर अयलीह सुश्री अंजू झा. प्राय: सब आयोजनमे श्रोता लोकनि हिनका स’ ई गीत अरबैद्ध क’ सुनैत छथि. अपन गीत गायनमे खूब नीक आभिनय के सेहो संयोजित करैत छथि अंजू जी.

हिनका बाद एकटा एहन सुपरिचित गायक औलाह मंचपर जे एखन तक सुधीरजीक मात्र गीत गबैत छथि आ अपन आवाजक तानक उठान स’ केहनो श्रोता के अपना दिस खिचबाक सामर्थ रखैत छथि. अहाँ छी मैथिलीक धनिकलाल मंडल. धनिक लाल जी पहिने त’ ठुमरी गेबाक विचार केने छलाह मुदा दर्शकक चाह आ मंच संयोजनक कारण बैसक’ नहि ओ ठाढ भ’ क’ गेबाक विचार केलन्हि आ सुधीर जीक दोसर रचना गेलन्हि. हिनकर आवाज समुच्चा प्रेक्षागृह के उद्वेलित क’ देने छल. अद्भुत तानक मालिक छथि धनिकलाल मंडल जी. एक-एकटा दर्शक लोकनिक मुँह स’ वाह-वाह निकलि गेलन्हि.

आब अयलीह सुश्री रश्मि रानी. मैलोरंग आ रश्मि एक दोसराक पूरक छथि. रश्मि बिना मैलोरंग के सोचि सकैत छथि ? मैलोरंग स्थापना स’ जूड़ल रश्मि रानी एक स’ एक विकट परिस्थिति मे मैलोरंगक मंच पर उपस्थित भेलीह अछि. गीत-नादे टा किएक मैलोरंगक नाटकमे सेहो हिनकर मधुर ध्वनि सुनबाक अभ्यस्त भ’ चुकल छथि मैलोरंगक प्रेक्षक लोकनि. रश्मि अयलीह आ पूर्वा वयार जेना लचकै छै डॉर केना... गीत के गाबि सराबोर केलन्हि.

आब मंचपर स्वागत भेलन्हि आजुक आयोजनक अतिथि उस्ताद जौहर अली खाँ साहबक. उस्ताद साहबक स्वागत केलन्हि वरीष्ठ पत्रकार आशीष झा. उस्ताद साहब मंच पर वायलीन स’ मधुर ध्वनि प्रसारित केलन्हि. ई रोमांचित क्षण छल जखन उस्ताद जीक वायलीन स’ मैथिली गीत रचना निकलि रहल छल.

भोला बाकाक स्तुतिक लेल मैथिली गीतक ओ आवाज जे घर घर बजैत छथि ओ अछि आमोद झा. आमोद जी अपन गायनक मात्र एकटा अंतरामे अपन गायनक परिचय द’ देलन्हि. हिनकर आवाजक बुलन्दी आ गायनक तान जाहिमे शास्त्रीयताक मिश्रण स’ प्रेक्षक लोकनि गदगद भ’ गेलाह.

आजुक साँझक अंतिम ध्वनि छलाह भाष्कर झा. समयाभावक कारण भाष्कर जी सेहो एकटा अंतरा गेलाह. मुदा एक मात्र अंतरामे भाष्कर अपन सुमधुर ध्वनि स’ मोहित क’ गेलाह. हिनकर आवाजमे सुधीर जीक लिखल भोला बाबाक गीत सुनल गेल.   

एहि गायक लोकनि के गायन संग मंचपर वाद्य यंत्र पर रहथि : भोला वर्मा (तबला), नवनीत (कीबोर्ड), सोमेश्वर (बाँसुरी), ब्बाबू भाई (पैड), मुरारी जी (नाल) आ एकलाख भाई (बैंजो).   
अपन पारिवारिक कारण स' गायक सुरेश पंकज नै पहुँच सकलाह. मुदा हिनकर अनुपस्थिति कनियो नै अखर' देलन्हि दिल्ली मे रहनिहार उपर्युक्त गायक लोकनि.

मैलोरंग दिस स’ अहि आयोजनमे सहयोग करबा लेल मैथिली नेट पत्र ईसमाद परिवार संग,  कुमुद सिंह, आशीष झा आ सुनील कुमार झाक हादिक धन्यवाद स’ देल गेलन्हि.

मंचपर अयनिहार सब गायक लोकनि के मैलोरंगक अभिनेता आ संरक्षक सदस्य लोकनि मैलोरंग स्मृति  चिह्न द’ क’ स्वागत केलथि.    

दूटा महत्वपूर्ण घोषणा भेल :

पहिल आगामी 27 अगस्त (रविदिन) मैलोरंग रेपर्टरीक अभिनेता लोकनि स्थानीय श्रीराम सेंटर प्रेक्षागृहमे प्रथम आधुनिक मैथिली 'सुन्दर संयोग' मंचित करत. सुन्दर संयोगक रचना 1905 ईमे कविवर जीवन झा द्वारा भेल छल. मुदा विडम्बना अछि जे ई नाट्य प्रस्तुति एखन तक मंचित नै भेल अछि. एहि बीड़ा के उठौलन्हि अछि मैलोरंग रेपर्टरी.  

दोसर घोषणा आरो महत्वपूर्ण अछि.

एहि ठाम दिल्ली मे 24 – 30 दिसम्बर, 2012 तक सात दिनक 'मलंगिया नाट्य महोत्सव' के आयोजन कयल जायत. एहि मे सातो दिन महेन्द्र मलंगिया लिखित सात टा नाटकक मंचन होयत. ई आयोजन सेहो श्रीराम सेंटर प्रेक्षागृहमे होयत. 
साभार - प्रकाश झा ( मैलोरंग)






















रविवार, 27 मई 2012

मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह २०१२/ मिथिला विभूति सम्मान (रिपोर्ट- पूनम मण्डल)

दिल्लीक रफी मार्गपर अवस्थित मावलंकर सभागारमे २० मइ २०१२ केँ मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह २०१२ सम्पन्न भेल।  

दिल्लीक विकासमे बिहारीक योगदान सभसँ बेशी अछि, ई गप दिल्लीक मुख्यमंत्री शीला दीक्षित २० मइ २०१२ ई. केँ अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा आयोजित मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह २०१२ मे मिथिलाक विशिष्ट विभूति सभकेँ सम्मानित करबाक बाद देल अपन भाषणमे कहलन्हि। ई जे दिल्लीक प्रशंसा विश्व भरिमे भऽ रहल अछि से बिहारी लोकनिक योगदानसँ विशिष्ट बनल अछि, ओइमे सँ किछु गोटेकेँ सम्मानित कऽ हुनका खुशी भेल छन्हि से ओ कहलन्हि। ओ महाबल मिश्र सांसदकेँ मैथिलीक प्रयोगमे लाज करबा लेल हँसी मे आलोचना सेहो केलन्हि, ओ कहलन्हि जे मैथिलीक प्रचार-प्रसार एकर विकास लेल जरूरी अछि, ओ कहलन्हि जे जँ महाबल मिश्र मैथिलीक प्रयोग करितथि तँ ऐ सँ हुनकर मैथिलीक ज्ञानमे अभिवृद्धि होइतन्हि। ओ भाजपा सांसद प्रभात झासँ कहलन्हि जे ओ अपन मूल प्रदेशक मैथिली भाषी सांसदसँ संसदमे मैथिलीक प्रयोग लेल प्रेरित करथि। शीला दीक्षित दिल्लीक मैथिली-भोजपुरी अकादमीक काज असंतोषजनक हेबाक गप कहलन्हि आ ओकर काज आगाँ ब्ढ़ेबामे सरकार सहयोग देत से कहलन्हि।  

महाबल मिश्र मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह २०१२ मे मैथिलीमे अपन भाषण देलन्हि। ऐ अवसर पर पूर्व सांसद श्री गौरीशंकर राजहंस आ दिल्लीक पूर्व विधायिका आ सांसद कीर्ति आजादक पत्नी श्रीमती पूनम आजाद सेहो रहथि।  

सांसद प्रभात झा सीताक जन्मस्थली पुनौरा (सीतामढ़ी), विद्यापतिक जन्मस्थली बिस्फी (जिला दरभंगा) आ कालिदासक ज्ञानप्राप्ति स्थली उच्चैठ (जिला मधुबनी) क पर्यटन उद्देश्यसँ बढ़ावा देबाक आवश्यकता जनौलनि, ऐ स्थल सभक वर्तमान दुर्दशाक ओ चर्च केलन्हि आ ऐ संगे आन पर्यटन स्थल सभक विकास हेबाक आवश्यकता जनौलनि।  

अखिल भारतीय मिथिला संघक महासचिव श्री विजय चन्द्र झा अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा कएल जा रहल कार्यक जनतब देलन्हि आ मैथिलीक विकास लेल सभकेँ आगाँ एबाक आह्वान केलन्हि।  

मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह २०१२ मे रंगमंच अभिनेत्री श्रीमती प्रेमलता मिश्र प्रेम, नाट्यकार श्री महेन्द्र मलंगिया, नाट्य निर्देशक श्री उत्पल झा, मैथिलीक ई-पत्रकार आ राष्ट्रीय सहाराक श्री हितेन्द्र गुप्ता, ध्रुपद गायक श्री अभय नारायण मल्लिक, शतरंज खिलाड़ी श्री श्रीराम झा, गोल्फ खिलाड़ी श्री अशोक कुमार, चिकित्सक डॉ. राज्यवर्धन आजाद, चिकित्सक डॉ. अजय चौधरी , उद्यमी श्री अनिल कुमार शर्मा, गायिका श्रीमती कुमुद झा, श्री रवीन्द्रनाथ ठाकुर (गीत-संगीत), श्री गजेन्द्र नारायण सिंह (संगीत) आ दिल्ली नगर निगमक हालक निर्वाचित पाँच टा पार्षद श्री सुनील झा, श्री रामदयाल महतो, श्रीमती तिलोत्तमा चौधरी, श्रीमती विमला देवी आ श्रीमती कल्पना झा सहित १९ गोटेकेँ मिथिला विभूति सम्मानसँ सम्मानित कएल गेल। श्री गजेन्द्र ठाकुरकेँ “पुरातात्विक तिरहुता भोजपत्र अभिलेखक पुनरोद्धार आ गूढ़ाक्षरकेँ स्पष्ट कऽ तकर देवनागरीमे लिप्यंतरण” लेल मिथिला विभूति सम्मानसँ सम्मानित कएल जेबाक छल मुदा कोनो कारणवश ओ सम्मान लेबा लेल नै एलाह। (स्रोत समदिया)

हितेंद्र गुप्ता के मिथिला विभूति सम्मान सं सम्मानित करैत मध्य प्रदेश बीजेपी अध्यक्ष आ सांसद प्रभात झा जी आओर विजय चन्द्र झा जी - चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

 स्मारिका लोकार्पण-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

 मंच- चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

विजय चन्द्र झा जी आओर संजीव कुमार मिश्र जी- चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

  आम्रपाली ग्रुप के सीएमडी अनिल शर्मा जी के संग विजय चंद्र झा जी  - चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

सांस्कृतिक कार्यक्रम -रश्मि रानी- चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

 दिल्लीक मुख्यमंत्री शीला दीक्षित- चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

दिल्लीक मुख्यमंत्री शीला दीक्षित- चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

अंशुमाला-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

अंशुमाला-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

अंशुमाला-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

अंशुमाला-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

अंशुमाला-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

सुनील कुमार पवन-चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

सुनील कुमार पवन- चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता
चित्र साभार हितेन्द्र गुप्ता

अखिल भारतीय मिथिला संघक तत्वावधानमे आयोजित मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह २०१२ / २० मई २०१२ क प्रस्ताव (रिपोर्ट- अमरनाथ झा)



अखिल भारतीय मिथिला संघक तत्वावधान मे आयोजित मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह - २०१२ के सफल बनेबाक हेतू कोटि - कोटि धन्यवाद...कार्यक्रम अत्यंत सफल रहल. श्रीमति शीला दीक्षित, मुख्यमंत्री दिल्ली, श्री प्रभात झा, राज्य सभा सांसद, श्री महाबळ मिश्र सांसद दिल्ली, श्री गौरी शंकर राजहंस, पूर्व सांसद, डॉक्टर एस सी एल गुप्ता, विधायक , श्री अनिल कुमार शर्मा सी एम डी आम्रपाली समूह, श्रीमति पूनम झा आजाद, डॉक्टर संजीव मिश्र आदिक गरिमामयी उपस्थिति रहल. स्वागताध्यक्ष डॉक्टर संजीव मिश्र के मिथिला वर्णन आ मिथिला शब्द विन्यास के अर्थ वास्तव मे अतुलनीय, रोचक आ ज्ञान वर्धक छल... 
 मुख्य मंत्री बजलीह जे मिथिला के लोकक कारण स दिल्ली बेसी सुंदर आ संवारल लागैत छैक. ओ ईहो बजलीह जे हुनको मैथिली भाषा बड्ड निक लागैत छैन....श्री प्रभात बाबू गाम स जुरल राह्बा पार जोर देलाह आ संगही हुनका स प्रेरणा भेटल जे एकटा सामान्य व्यक्ति केना अप्पन योग्यता आ नीक विचार के बल पर कतौ अप्पन स्थान बना सकैत अछि, हमरा सभ मैथिलक लेल प्रेरणा श्रोत अछि. 
श्री अनिल कुमार शर्मा जी आम्रपाली समूह के सी एम् डी, कहलाह जे मिथिला भवन के निर्माण में अप्पन पूरा सहयोग देताह, डॉ एस सी एल गुप्ता विधायक संगम विहार सेहो विश्वास दियेलाह जे ओ श्री अनिल कुमार शर्मा जीक संग मिथिला भवनक निर्माण में सहयोग करताह. श्री गौरी शंकर राजहंस जी, श्री राम कुमार झा एवं श्रीमति पूनम झा आज़ाद के संबोधन सेहो अनुकरणीय छल. 

मिथिला के किछु गणमान्य व्यक्तित्व के मिथिला विभूति सम्मान स' सम्मानित कयल गेल. आ नव निर्वाचित मैथिल पार्षद के सेहो सम्मानित कयल गेल.  
सभ अतिथि के मखान, पाग, दुपट्टा, पुष्प-हार आदि स स्वागत कयल गेलनि.  
अतिथि सभक संबोधन में विलम्ब होयबाक कारण स रंगारंग कायर्क्रम सेहो विलम्ब स प्रारम्भ भेल परिणामस्वरूप कतेको कलाकार अप्पन प्रस्तुति देबा स वंचित रहलाह परन्तु ३ घंटा के लगभग जे कार्यक्रम चलल से झम्कौआ छल. बहुत श्रोता लोकनि के चल गेला तक कार्यक्रम चलैत रहल आ बादक से कार्यक्रम छल से वास्तव में सुने आ देखे वाला छल. मुख्य कलाकार में छलाह/छलीह : श्री विपिन मिश्र, श्री पवन नारायण झा, श्री अमोध झा, श्री मिथिलेश झा, श्री सुनील पवनजी, श्रीमती रश्मिरानी, कुमारी अंशुमाला, कुमारी जुली झा, श्री सुधानंद झा आदि...  
कुल मिला क अपने सबहक सयहोग आ आशीर्वाद स कार्यक्रम सफल रहल. अपने सबहक अहिना समर्थन रहत त अप्पन मिथिला आ मैथिली के दशा आ दिशा भेटत जाहि सा अप्पन सबहक पहचान विशिष्ट होयत.  
सतत एही अभिलाषाक संग अपनेक  

अखिल भारतीय मिथिला संघ
चित्र श्री अमरनाथ झा
























Amarnath Jha with arvind paswanji and roshan ji...
























Shubh Narayan Jha











Delhi Chief Minister Shaeila Dikshit




























Add caption












































































१
अखिल भारतीय मिथिला संघक तत्वावधान मे आयोजित मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह - २०१२
कार्यक्रमक रूप रेखा 
२० मई २०१२, ४ बजे अपराह्न स' रात्रि १० बजे तक मावलंकर सभागार, रफ़ी मार्ग, नई दिल्ली

४.०० बजे : मुख्य एवं विशिष्ट अतिथि सभक आगमन
 ४.०५ बजे : कार्यक्रम के प्रस्तावना
 ४.१० बजे : मंगलाचरण एवं भगवती वंदना (जय जय भैरवी.....)
४,१५ बजे : दीप प्रज्ज्वलन सभ अतिथि द्वारा
४.२१ बजे : कवि कोकिल विद्यापति के चित्र पर माल्यार्पण
 ४.३० बजे : स्वागताध्यक्ष द्वारा स्वागत भाषण
 ४.३५ बजे : महासचिवक प्रतिवेदन
४.४० बजे : भाषण- श्री हुक्र्मदेव नारायण यादव, सांसद
४.४५ बजे : भाषण- श्री कीर्ति झा आज़ाद, सांसद
 ४.५० बजे : भाषण - श्री महाबल मिश्र, सांसद
४.५५ बजे : भाषण - डॉ गौरी शंकर राजहंस, पूर्व सांसद एवं राजदूत
५.०० बजे : भाषण - श्रीमति मृदुला सिन्हा, पांचवां स्तम्भ
५.०५ बजे : भाषण - डॉ निशिकांत ठाकुर, दैनिक जागरण
५.१० बजे : भाषण - डॉ अनिल कुमार शर्मा, सी एम डी, आम्रपाली समूह
५.१५ बजे : भाषण - डॉ एस सी एल गुप्ता, विधायक, दिल्ली
 ५.२० बजे : भाषण - श्री अनिल झा, विधायक, दिल्ली
 ५.२५ बजे : उदघाटन भाषण - डॉ प्रभात झा, अध्यक्ष, मध्यप्रदेश बीजेपी, एवं राज्य सभा सदस्य
 ५. ३५ बजे: सम्मान समारोह- श्रीमति शीला दीक्षित, मुख्यमंत्री दिल्ली
६.०० बजे स' : रंगारंग कार्यक्रम
१०.०० बजे: धन्यवाद ज्ञापन
१०.०५ बजे : कार्यक्रम के समाप्ति

२

अखिल भारतीय मिथिला संघक तत्वावधान मे आयोजित मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह - २०१२

२० मई २०१२ क प्रस्ताव
१. दिल्ली में मैथिली अकादमी के अलग/स्वतंत्र कायल जाय
२. मैथिली पत्र- पत्रिका द्वारा मिथिली साहित्यक विकास हो
३. दिल्ली विश्वविद्यालय एवं जवाहर लाल नेहरु विश्वविद्यालय मे मैथिली संभाग के स्थापना
४. बाबा नागार्जुन, स्व. भोला पासवान शास्त्री एवं अमर शहीद स्व. ललित नारायण मिश्र के नाम पर दिल्ली में सड़कक नामकरण
५. भारत सरकारक प्रत्येक मंत्रालय में मिथिली पत्र-पत्रिका के खरीद हेतु प्रावधान हो
६. दूरदर्शन एवं आकाशवाणी में मैथिली संभाग के गठन ७. भारतीय मुद्रा (करेंसी नोट) मिथिलाक्षर मे रूपया (टाका) लिखल जाय.
८. दिल्ली -जयनगर दुरंतो एक्सप्रेस ट्रेन चलोल जाय.
९. मिथिला के प्रत्येक रेलवे स्टेशन पर मिथिलाक्षर मे स्टेशन के नाम लिखल जाय.

३
आमंत्रण-पत्र