गुरुवार, 9 फ़रवरी 2012

बसंत अहाँ किया आबय छी


वसंत अहाँ फेर आबि गेलोंउ?
हमरा हमर मज़बूरी मोन पड़ाबै लेल
तितली जे कहियो उडैत रहे
ओ गामक मेड पर
जतय गहुमक खेतक बीच
सरसों क पिरका फुल पर
ओ बैसि जाएत रहे, आर हम
चुप्पे चाप पाछां स जाए क
धैर लैत रही हुनका अनझक्के में.
नै बिसरब हम ओ सांझ
जखन आमक नबका बौर महक
भैर दैत रहे हमर नाक
आ हवा म गुन्जैत
ओ फगुआ क विरह फाग
हे बसंत अहाँ फेर आबि गेलोंउ
ओही दर्द क मोन पड़ाबै लेल
किया आबय छि अहाँ जखन अहाँ क बुझल अछि
की जिनगीक भागम भाग स हम दूर जा चुकल छी
आब रोटीक लड़ाई म गहुम मोन नै पडैत अछि
सरसों क फुल खाली अखबार म देखायत अछि
आ तितली त बुझु टका बनि गेल
कतनो किछु क लिया हाथ नै आयत
फगुआ क फाग "कोलावारी" क कलह बनि गेल
हे बसंत अहाँ चुपचाप किया नै चलि जाएत छी
किया एते सताबै छी
बसंत अहाँ किया आबय छी

3 टिप्‍पणियां:

  1. बड नीक कविता अछि

    जवाब देंहटाएं
  2. बहुत नीक कविता अछि
    हमर बधाई स्वीकार करू

    जवाब देंहटाएं
    उत्तर
    1. धन्यवाद भाई, अहाँक प्रोत्साहन हमरा लेल संजीवनी क काम करत....

      हटाएं

अपन मोनक भावना के एते राखु