गुरुवार, 20 अक्तूबर 2011

आउ बनाऊ दहेज़ मुक्त मिथिला

बंधुगण! अगहन सँ शुद्ध शुरु होवयवाला अछि, बहुत कुटमैती के निराकरण जोर पर अछि। यैह उचित समय थीक जाहिमें दहेज मुक्त मिथिला के सक्रियता के जोर पर राखैय जाउ। जतय कोनो कुटमैती टाका-पैसा माँग कैल जा रहल अछि, ताहि ऊपर प्रहार जरुरी छैक। प्रहार के मतलब इ नहि जे मारपीट होइक, बस तथ्यांक संकलन करैत समाचार पत्र के मार्फत सरकारी सहयोग सऽ प्रकाशित करायल जायत आ एहि तरहें लोक में एक प्रकार के जागृति बलजोरी सेहो प्र...वेश करतैक। एहि हेतु अपने लोकनि सँ निवेदन जे कोनो कुटमैती दहेज लेन-देन करैत जे निर्धारित भऽ रहल छैक ताहि के तथ्याँक प्रकाशित करू आ बाकी एक प्रतिनिधि मंडल द्वारा पटना में मंत्री जी संग नवम्बर-दिसम्बरमें भेंटघाँट कार्यक्रम रखबाक छैक - तऽ आवश्यक सूचना प्रकाशित करैत एहेन समाजिक अपराधमें संलिप्त लोक के उघार करब अत्यन्त जरुरी छैक। से अपने लोकनि इ सूचना फेशबुक पर संकलित करी से आग्रह अछि।

विनीत:
दहेज मुक्त मिथिला परिवार

आब डीजीसीए लगेलक अडंगा

  1. हर डेग पर फाइल रुकला स भ रहल अछि विमान सेवा मे देरी
  2. केवल पटना जमशेदपुर नहि, चारिटा शहर स शुरू होएत सेवा
  3. सुरक्षा जांचक जिम्‍मेदारी पर नहि भ सकल अछि कोनो फैसला
  4. अनुमतिपत्र भेटलाक दोसर दिन शुरू होएत सेवा
  5. अगिला सप्‍ताह जारी भ सकैत अछि किराया क सूची
दरभंगा/पटना/ नई दिल्‍ली । दरभंगा, पूर्णिया, गया आ पटनाक बीच हवाई सेवा मे डीजीसीए अडंगा लगा देलक अछि। इ सेवा कए एहि मास शुरू करबाक योजना छल, मुदा स्प्रिट एयरलाइंस स प्राप्‍त भेल आधिकारिक जानकारीक अनुसार जीडीसीए एहि सेवा लेल एखन धरि अनुमतिपत्र नहि देलक अछि। स्प्रिट एयरलाइंस क पटना एयरपोर्ट मैनेजर सुरेश प्रसाद इसमाद स एहि संबंध मे पूछला पर साफ तौर पर कहला जे डीजीसीए द्वारा अडंगा लगेबाक कारण इ सेवा एखन धरि शुरू नहि भ सकल अछि जखन कि कंपनी जरूरी कागजात बहुत दिन पहिने डीजीसीए लग पठा चुकल अछि। ओ कहला जे कंपनी दिस स सबटा पेपरवर्क भेल चुकल अछि ओकर बावजूद डीजीसीए दिस स अफ्रूवल देबा मे देरी बुझबा मे नहि आबि रहल अछि, जखन कि एहि सेवा लेल जहाज तक आबि चुकल अछि। सेवा शुरू करबा संबंधि तिथि पर श्री प्रसाद क कहब छल जे कंपनी सब प्रकारस तैयार अछि जहिया जीडीसीए क अनुमति पत्र भेटत ओकर दोसर दिन हम अपन सेवा शुरू कए देब।
एकटा सवाल क उत्‍तर मे श्री प्रसाद कहला जे कंपनी केवल पटना आ जमशेदपुर क बीच सेवा नहि शुरू करत, बल्कि बिहारक तीनटा शहर स सेहो सेवा शुरू कैल जाएत, मुदा पटना, गया आ जमशेदपुर हवाईअडडा पर सुरक्षा जांच मे कोनो दिक्‍कत नहि अछि, मुदा दरभंगा आ पूर्णिया मे सुरक्षाक जिम्‍मा केकर होएत एहि पर एखन धरि सरकार संग तय नहि भ सकल अछि। एहि ठामक सुरक्षा राज्‍य सरकार क हाथ मे होएत या कंपनी अपन स्‍तर स व्‍यवस्‍था करत इ फैसला एखन हेबाक अछि। किया कि दरभंगा आ पूर्णिया दरअसल एयरबेस अछि एयरपोर्ट नहि। मुदा एहि समस्‍या क हल सेहो जल्‍द निकालि लेल जाएत। किराया सम्बन्धी सवाल पर श्री प्रसाद कहलथि जे एहि विषय पर जीडीसीए स अनुमति भेटलाक बाद किछु तय भ सकत, आशा करैत छी अगिला सप्‍ताह तक किराया संबंधी खाका लोक कए उपलब्‍ध भ जाएत। ज्ञात हुए जे इसमाद कहने छल जे इ सेवा अक्टूबर क अंत तक उपलब्‍ध भ जाएत।
प्रसाद क अनुसार कंपनी भागलपुर लेल सेहो प्रयासरत छल मुदा राज्‍य सरकार भागलपुर मे विमान उतारबा लेल 63 हजार टका मांगि रहल अछि जखन कि दरभंगा आ पूर्णिया मे विमान उतारबा लेल भारतीय वायुसेना केवल नौ हजार टका ल रहल अछि। प्रसाद कहला जे दिल्‍ली आ कोलकाता एखन जोडब संभव नहि अछि मुदा बगलक राज्‍य झारखंडक दूटा शहर रांची आ जमशेदपुर सेहो एहि सेवा स जुडि जाएत।
ज्ञात हुए जे इ कंपनी पिछला साल सेहो एहन प्रयास केने छल मुदा तकनीकी कारण स सफल नहीं भ सकल। एकर बाद लोक एहि सेवा कए लकए नाउम्मीद भ चुकल छल। महाराज दरभंगा क दरभंगा एयरलाइंसक बाद इ पहिल मौका छल जखन कोनो निजी कंपनीक सेवा दरभंगा हवाई अड्डा स शुरू हुए जा रहल अछि।
देर आये दुरुस्त आये क कहावत कए चरितार्थ करैत स्प्रीट एयर लाइन यात्री क बढैत संख्‍या कए देखैत अपन तीन सीटर क स्‍थान पर दस सीटर विमान उतारि रहल अछि। नव सेवा कई मायने मे फायदेमंद साबित भ सकैत अछि। तीन क जगह 10 यात्री कए लकए उड़ान भरला स विमान किराया कम भ सकैत अछि, आ पटना क अलावा महानगर क लेल सेहो सेवा आरंभ हेबाक संभावना बढ़त। यात्री कए सामान लकए चलबा मे सेहो सहूलियत होएत। सुरेश प्रसाद कहलथि अछि जे एकरा लेल जर्मनी क एकटा कंपनी स भाड़ा पर विमान लेल गेल अछि, जे दिल्ली पहुंच चुकल अछि। प्रसाद कहला जे सरकार अगर मदद करए त भगलपुर आ मुजफ्फरपुर स सेहो इ सेवा शुरू भ सकैत अछि। हालांकि मुजफ्फरपुर जिला प्रशासन क दिस स हवाई अड्डा कए उड़ान लायक बनेबा लेल आहूत बैठक बेर-बेर टलला स स्प्रीट एयर लाइन निराश अछि। पटना एयर पोर्ट मैनेजर श्री प्रसाद कहैत छथि जे अगर मुजफ्फरपुर क एयर पोर्ट दुरुस्त भ जाए त सीधा कोलकाता, मुंबई क लेल सेहो सेवा शुरू करबा क विचार भ अछि।
साभार - इसमाद.कॉम

बुधवार, 19 अक्तूबर 2011

हार पर विजय

हार गिरे तब धार करे
जब धार करे तब वार करे
जब वार करे संहार करे
हुंकार भरे हुँकार भरे
ग्लानी कुंठा को जगह नहीं अब
तज स्वाभिमान और आडम्बर को
कृतग्य भाव से अमूल्य समय का सत्कार करे
विविधा नहीं दुविधा नहीं
बाधाओं को आने दो
बन अंधकार के बादल मंडराने दो
प्रतिकार करे प्रतिकार करे
जो घात करे प्रतिघात करे
सहश्त्र भानु पर विजय करे
क्यों चंद्रकला को भ्रमित हो
श्रम हमारा रथ होगा धैर्य हमारी ढाल
द्रिढता को तलवार करे
अटल युद्ध पर अडिग हों
हर मुश्किल को हम पार करे
हार गिरे तब धार करे
जब धार करे तब वार करे
जब वार करे संहार करे
c.Jha

मंगलवार, 11 अक्तूबर 2011

ग़ज़ल

गामक इयाद पिया मोन पडाय ये।
बड़ रहलो शहर चलू घुरि चलू

शहरक इजोत नीक नै बुझाय ये।
लालटेन दिस आब चलू घुरि चलू॥

पिज्जा, कोला, बर्गर सों मोन अघाय ये।
मकई के रोटी लेल चलू घुरि चलू॥

हिप-होप, रैप, नै चित्त क सोहाय ये।
गामक ढोलीबा लग चलू घुरि चलू॥

दिल्ली सों आब सुनील मोन डराय ये
गामक दिस लौट चलू, चलू घुरि चलू॥

सोमवार, 3 अक्तूबर 2011

दहेज मुक्त मिथिलाके निर्माण एवं मिथिलाके धरोहरके संरक्षण--


मिले,
... श्रीमान्‌/श्रीमती/श्रीयुत्‌ ...........................................................
पता: ................................................................................
.......................................................................................
.......................................................................................

विषय: दहेज मुक्त मिथिलाके निर्माण एवं मिथिलाके धरोहरके संरक्षण

महोदय/महोदया,

उपरोक्त विषयमें अपने केँ सूचित करैत अपार हर्ष भऽ रहल अछि जे आजुक २१वीं शदीमें मिथिलाके युवा जनशक्ति जे आइ संसारके हर कोणमें पसरल छथि आ काफी प्रभावशाली योगदान दैत संसारके निर्माणमें व्यस्त छथि - हुनकहि जागृतिके इ सुखद परिणाम थीक जे ‘दहेज मुक्त मिथिला’ नामके एक संस्थाके निर्माण भेल अछि जेकर मुख्य उद्देश्य केवल एतेक जे मिथिलामें माँगरूपी दहेज के प्रथाके समाप्त कैल जाय - मिथिलाके बेटी ऊपर इ प्रत्यक्ष एवं अप्रत्यक्ष दुनू रुपें अत्याचार थीक; प्रत्यक्ष एहि लेल जे संतान सभ बराबर होइछ, जहिना लोक बेटाके पढाबयलेल अग्रसर छथि, तहिना बेटीके लेल सेहो छथि - तखन दू रंगके व्यवहार जे बेटाके विवाहमें बेटीवाला के त्यागके कोनो गणना नहि करैत माँगरूपी दहेज के थोपल जैछ। अप्रत्यक्ष अत्याचार एहि लेल जे दहेज के व्यवहार के कारण बहुतो माता-पिता अपन कन्याके उच्च अध्ययन सऽ वञ्चित रखैत छथि आ एहि तरहें मिथिलामें प्रतिभा रहितो मैथिलपुत्री बहुत पछुवायल छथि। जतय आजुक महिला संसारके उच्चतम्‌ शिखर माउण्ट एवरेस्ट सऽ लऽ के, राष्ट्रकवच सेनामें एवं विज्ञानके युगमें प्रखर प्रदर्शन करैत संसारके आगू बढाबयमें हर क्षेत्रमें अगुआ भूमिका निर्वाह कय रहल छथि ततय मिथिलाके बेटीपर दहेज के एहेन प्रहार छैक जे एक निश्चित सीमा तक मात्र पढाइ करैत छथि। उच्च शिक्षाके लेल हतोत्साहित होइत छथि। केवल विवाह एवं वर हेतु चिन्तित रहैत दहेजके व्यवस्थामें लागल थाकल परेशान मैथिल असल ऐश्वर्यके, रिद्धि-सिद्धिके एवं समुचित विकासके बहुत पैघ बाधक बनल छथि। एहि प्रतिकूलताके विरुद्ध छेड़ल मौलिकताके लड़ाईमें अपनेक सहयोगकेर आकाँक्षा रखैत इ पत्र प्रेषित कय रहल छी जे हमरा लोकनिक कार्य-प्रणालीमें मिथिलाके धरोहर जे लगभग हर गाम - हर इलाका में कोनो ने कोनो रूपमें अवश्य मौजूद अछि ताहि ऊपर एकजूट बनैत संरक्षण के कार्य कैल जाय - एहि में अपनेक सहयोग के अपेक्षा रखैत छी।

वर्तमानमें हमरा लोकनि सौराठ सभाके पुनरुत्थान हेतु जन-जागरण अभियानमें अपनेक सहयोग के याचना करैत छी। एहि सभाके जे पौराणिक शुद्ध संस्करण छल ताहिके पुनर्जागरण करयमें, दहेज मुक्त विवाह हेतु एवं विद्वत्‌ सभा जाहिमें मिथिलाके विकास हेतु आम चर्चा-परिचर्चा सेहो होइ आ लोक एकताके सूत्रमें बँधैत नव-नव-निर्माणके कार्यमें संलिप्त होइथ - ताहि लेल सालमें एक बेर सौराठ सभागाछीके पुनः जगायल जाय। एकर जागृति लेल अपनेक सहभागिता के अपरिहार्य आवश्यकता बुझैछ। संगहि जे पौराणिक परंपरा वैवाहिक अधिकार निर्णय कराबय हेतु पंजिकार द्वारा विगत पुश्ताके बीच कोनो प्रकार के रक्त सम्बन्ध जाँच कराबैत कैल जैछ एकर परित्याग कदापि नहि करै जाइ। सिद्धान्त लिखाबैक परंपरा पर सेहो सभ मैथिल ब्राह्मण जाग्रत रहैथ।

जानकारी दी जे एहि बेर सौराठमें श्री श्री १०८ श्री माधवेश्वर नाथ महादेवके मन्दिर जेकर निर्माण दरभंगा राज द्वारा करायल गेल आ जे आइ अत्यंत उपेक्षित अबस्थामें अछि, एकर जीर्णोद्धार हेतु दहेज मुक्त मिथिला कटिबद्ध अछि। अपने लोकनि सँ निवेदन जे एहि शुभ कार्यमें अपन यथायोग्य सहयोग निम्न खातामें अवश्य पठाबी।

खाताधारकके नाम :-सौराठ सभा विकास समिति एवं दहेज मुक्त मिथिला
खाताधारक बैंकके पता :- रहिका, मधुबनी , बिहार
खाताधारक बैंकके नाम :- भारतीय स्टेट बैँक
खाता नं. :- 31742944456
आई. एफ. एस. सी. कोड:- SBIN0005897

धन्यवाद,

सदस्य,
दहेज मुक्त मिथिला, पंजी भवन,
सौराठ सभागाछी, मधुबनी।
फोन: 09661042056..09135462251 .09279343090