गुरुवार, 20 अक्तूबर 2011

आब डीजीसीए लगेलक अडंगा

  1. हर डेग पर फाइल रुकला स भ रहल अछि विमान सेवा मे देरी
  2. केवल पटना जमशेदपुर नहि, चारिटा शहर स शुरू होएत सेवा
  3. सुरक्षा जांचक जिम्‍मेदारी पर नहि भ सकल अछि कोनो फैसला
  4. अनुमतिपत्र भेटलाक दोसर दिन शुरू होएत सेवा
  5. अगिला सप्‍ताह जारी भ सकैत अछि किराया क सूची
दरभंगा/पटना/ नई दिल्‍ली । दरभंगा, पूर्णिया, गया आ पटनाक बीच हवाई सेवा मे डीजीसीए अडंगा लगा देलक अछि। इ सेवा कए एहि मास शुरू करबाक योजना छल, मुदा स्प्रिट एयरलाइंस स प्राप्‍त भेल आधिकारिक जानकारीक अनुसार जीडीसीए एहि सेवा लेल एखन धरि अनुमतिपत्र नहि देलक अछि। स्प्रिट एयरलाइंस क पटना एयरपोर्ट मैनेजर सुरेश प्रसाद इसमाद स एहि संबंध मे पूछला पर साफ तौर पर कहला जे डीजीसीए द्वारा अडंगा लगेबाक कारण इ सेवा एखन धरि शुरू नहि भ सकल अछि जखन कि कंपनी जरूरी कागजात बहुत दिन पहिने डीजीसीए लग पठा चुकल अछि। ओ कहला जे कंपनी दिस स सबटा पेपरवर्क भेल चुकल अछि ओकर बावजूद डीजीसीए दिस स अफ्रूवल देबा मे देरी बुझबा मे नहि आबि रहल अछि, जखन कि एहि सेवा लेल जहाज तक आबि चुकल अछि। सेवा शुरू करबा संबंधि तिथि पर श्री प्रसाद क कहब छल जे कंपनी सब प्रकारस तैयार अछि जहिया जीडीसीए क अनुमति पत्र भेटत ओकर दोसर दिन हम अपन सेवा शुरू कए देब।
एकटा सवाल क उत्‍तर मे श्री प्रसाद कहला जे कंपनी केवल पटना आ जमशेदपुर क बीच सेवा नहि शुरू करत, बल्कि बिहारक तीनटा शहर स सेहो सेवा शुरू कैल जाएत, मुदा पटना, गया आ जमशेदपुर हवाईअडडा पर सुरक्षा जांच मे कोनो दिक्‍कत नहि अछि, मुदा दरभंगा आ पूर्णिया मे सुरक्षाक जिम्‍मा केकर होएत एहि पर एखन धरि सरकार संग तय नहि भ सकल अछि। एहि ठामक सुरक्षा राज्‍य सरकार क हाथ मे होएत या कंपनी अपन स्‍तर स व्‍यवस्‍था करत इ फैसला एखन हेबाक अछि। किया कि दरभंगा आ पूर्णिया दरअसल एयरबेस अछि एयरपोर्ट नहि। मुदा एहि समस्‍या क हल सेहो जल्‍द निकालि लेल जाएत। किराया सम्बन्धी सवाल पर श्री प्रसाद कहलथि जे एहि विषय पर जीडीसीए स अनुमति भेटलाक बाद किछु तय भ सकत, आशा करैत छी अगिला सप्‍ताह तक किराया संबंधी खाका लोक कए उपलब्‍ध भ जाएत। ज्ञात हुए जे इसमाद कहने छल जे इ सेवा अक्टूबर क अंत तक उपलब्‍ध भ जाएत।
प्रसाद क अनुसार कंपनी भागलपुर लेल सेहो प्रयासरत छल मुदा राज्‍य सरकार भागलपुर मे विमान उतारबा लेल 63 हजार टका मांगि रहल अछि जखन कि दरभंगा आ पूर्णिया मे विमान उतारबा लेल भारतीय वायुसेना केवल नौ हजार टका ल रहल अछि। प्रसाद कहला जे दिल्‍ली आ कोलकाता एखन जोडब संभव नहि अछि मुदा बगलक राज्‍य झारखंडक दूटा शहर रांची आ जमशेदपुर सेहो एहि सेवा स जुडि जाएत।
ज्ञात हुए जे इ कंपनी पिछला साल सेहो एहन प्रयास केने छल मुदा तकनीकी कारण स सफल नहीं भ सकल। एकर बाद लोक एहि सेवा कए लकए नाउम्मीद भ चुकल छल। महाराज दरभंगा क दरभंगा एयरलाइंसक बाद इ पहिल मौका छल जखन कोनो निजी कंपनीक सेवा दरभंगा हवाई अड्डा स शुरू हुए जा रहल अछि।
देर आये दुरुस्त आये क कहावत कए चरितार्थ करैत स्प्रीट एयर लाइन यात्री क बढैत संख्‍या कए देखैत अपन तीन सीटर क स्‍थान पर दस सीटर विमान उतारि रहल अछि। नव सेवा कई मायने मे फायदेमंद साबित भ सकैत अछि। तीन क जगह 10 यात्री कए लकए उड़ान भरला स विमान किराया कम भ सकैत अछि, आ पटना क अलावा महानगर क लेल सेहो सेवा आरंभ हेबाक संभावना बढ़त। यात्री कए सामान लकए चलबा मे सेहो सहूलियत होएत। सुरेश प्रसाद कहलथि अछि जे एकरा लेल जर्मनी क एकटा कंपनी स भाड़ा पर विमान लेल गेल अछि, जे दिल्ली पहुंच चुकल अछि। प्रसाद कहला जे सरकार अगर मदद करए त भगलपुर आ मुजफ्फरपुर स सेहो इ सेवा शुरू भ सकैत अछि। हालांकि मुजफ्फरपुर जिला प्रशासन क दिस स हवाई अड्डा कए उड़ान लायक बनेबा लेल आहूत बैठक बेर-बेर टलला स स्प्रीट एयर लाइन निराश अछि। पटना एयर पोर्ट मैनेजर श्री प्रसाद कहैत छथि जे अगर मुजफ्फरपुर क एयर पोर्ट दुरुस्त भ जाए त सीधा कोलकाता, मुंबई क लेल सेहो सेवा शुरू करबा क विचार भ अछि।
साभार - इसमाद.कॉम

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु