मंगलवार, 27 नवंबर 2012

प्रेस विज्ञप्ति " मैलोरंग"

प्रेस विज्ञप्ति

आगामी 26 – 30 दिसम्बर, 2012 तक मलंगिया नाट्य महोत्सव; मैलोरंग, दिल्ली द्वारा स्थानीय श्रीराम सेंटर, मण्डी हाउस, नई दिल्ली – 01 मे प्रति दिन सायं 6.30 बजे स’ आयोजित कयल जायत.

मलंगिया नाट्य महोत्सवमे भारतक संग नेपालक कुल पाँचटा नाट्य संगठन नाटककार महेन्द्र मलंगिया लिखित विभिन्न नाटकक मंचन करत. मैथिली रंगमंचमे एहि प्रकारक ई पहिल आयोजन थिक जे कि कोनो एक नाटककार पर केन्द्रित होइ. एहि नाट्य महोत्सवमे नाटककार मलंगियाक चर्चित पाँच नाटक क्रमश: ओकरा आँगनक बारहमासा, गाम नै सुतैए, छुतहा घैल, जुआयल कनकनी आ ओरिजनल काम चयनित कयल गेल अछि.

- प्रकाश झा
महोत्सव प्रबंधक
निदेशक, मैलोरंग

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु