शनिवार, 15 जनवरी 2011

कोसी के लेल विश्व बैंक केर मदद

बिहार... मिथिला के कोसी क्षेत्र केर विकास के लेल विश्व बैंक बिहार के 1000 करोड़ रुपया देत. एहि बारे मे बिहार सरकार आओर विश्व बैंक के बीच एकटा समझौता भेल अछि.

समझौता के मुताबिक विश्व बैंक राज्य के आपदा प्रबंधन के लेल साढ़े चारि हजार करोड़ रुपया के मदद देत. एहि मे सं 1000 करोड़ कोसी
क्षेत्र के लेल अछि.

दू साल पहिने 2008 मे कोसी मे भीषण बाढ़ि आएल छल. ओहि सं पूरा इलाका मे भारी तबाही मचल छल.लाखों लोक प्रभावित भेल छलाह. सरकार के मुताबिक करीब 33 लाख लोक प्रभावित भेल छलाह

विश्व बैंक के तरफ सं जे मदद मिलत ओहि सं कोसी क्षेत्र मे एक लाख घर बनाएल जाएत. एकरे संग 290 किलोमीटर सड़क आओर 90 टा छोट-पैघ पुल बनाएल जाएत.

बाढ़ि सं प्रभावित लोक के लेल रोजगार के साधन सेहो मुहैया करायल जाएत. ओहि टाइम बाढ़ि सं लोक के घर-द्वार... माल-मवेशी सभ बहि गेल छल.

सरकार तरफ सं लोक के बसाबय लेल काफी कोशिश कएल गेल. मुदा अखनो काफी किछ करय के जरूरत अछि. अपन गाम-घर सं विस्थापित भेल लोक के बसाबय के जरूरत अछि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु