सोमवार, 5 दिसंबर 2011

फेंकलो गुगली मारलैथ - अजय ठाकुर (मोहन जी)

अक्का बक्का तीन तलक्का,
फेंकलो गुगली मारलैथ छक्का, 
दर्शक भ गेलैथ हक्का-बक्का, 

करता बन्दन हाथ-जोरी आजू, 
नेता हमर देशक लाज, 
भगवान हिनका भेज्लैथ हन, 
कऽरे लेल धरती पर राज, 

आब नहीं कहियोंन चोर-उचक्का, 
अक्का-बक्का तीन तलक्का,

हिनकर छैईन अपन मज़बूरी, 
मुँह में राम बगल में छुरी, 
देश लैद क चल-लैथ पीठ पर,
"मोहन जी" बढबैत हिनका स दुरी,

वोट करु बस हिनकर पक्का, 
अक्का-बक्का तीन तलक्का,  

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु