मंगलवार, 20 दिसंबर 2011

सांझखन क हकार अछि चलू श्रीराम सेंटर

मैथिली नाटक कए समर्पित संस्‍था मैलोरंग क तत्‍वावधान मे मिथिलोत्‍सव 2011 क आयोजन कैल गेल अछि। मंगलवार सांझखन दिल्‍ली क मंडी हाउस स्थित श्रीराम सेंटरक सभागार मे अपने सब लोकनि कए संस्‍था दिस स हकार देल गेल अछि। एहि समारोह में नाटक स संबंधित तीनटा सम्‍मान देल जाएत। संगहि राजकमल चौधरीक प्रसिद्ध रचना ललका पाग क मंचन कैल जाएत। प्रकाश झा एही स पहिनो कैकटा नाटकक सफल मंचन कए चुकल अछि, एही बेर सेहो ललका पाग अपन उत्कृष्ठता में नज़र आयत। त सब काज छोरु आ चलू श्रीराम सेंटर।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु