शनिवार, 2 जुलाई 2011

बिहारक पहिल फाइव स्टार होटल खुलत पटना में

बदलैत बिहार के नाम एकटा आर उपलब्धि जुड़ि गेल ये विश्व के चर्चित फाइव स्टार होटल समूह कार्लसन पटना में फाइव स्टार होटल रेडिसन' खोलत।  रेडिसन ब्लू ब्रांड के ई होटल बिहार के पहिल फाइव स्टार होटल हाएत। पटना में प्रियदर्शी होटल एंड रिसॉर्ट के एमडी निखिल प्रियदर्शी आ कार्लसन होटल के रूमी आनंद एही करार पर दस्तखत केलेथि ये। ज्ञात होए की रेडिसन ब्लू विश्व के टॉप १० फाइव स्टार होटल ग्रुप में एक ये आ दुनिया में एकर पाँच सौ से बेसी होटल ये खाली भारत टा में अखन एकर ४२ टा होटल ये।
पटना में होटल के निर्माण याह साल सितम्बर में शुरू हाएत. एक लाख वर्ग किलोमीटर एरिया में बनय बला ई होटल २०१५ में बनि के तैयार हाएत। ई होटल में डेढ़ सौ कमरा, जिमखाना, क्लब, स्पा, स्विमिंग पुल जेहन अत्याधुनिक सुविधा रहत संगे देशी विदेशी खाना सेहो भेटत। जकरा लेल जानकर इंजिनियर आ कार्पोरेट मास्टरों के सेवा लेल जाए रहल ये।
एकरा से पहिने राज्य सरकार राजधानी में पाँच सितारा होटल के योजना बनेलक रहे मुदा अखन तक ओ खाली फाइले टा में दबल रहे मुदा रेडिसन ब्लू एही काज के जमीन पर उतरै बला पहिल कंपनी बनि गेल ये। ताज, ओबेराय सेहो एता जमीन देखे के लेल आएल रहे मुदा अखन धैर कोनो जमीनी कारवाही नै भेल, होलीडे ग्रुप अपन फाइव स्टार होटल के लेल तीन हज़ार वर्ग मीटर जमीन खरीद्लक रहे आ ओ दावा करलक रहे जे २०१२ तक हम अपन फाइव स्टार होटल खोलब मुदा अखन धैर ओ काज भी अधर में लटकल अछि। आब देखनाय ई ये की रेडिसन कतेक जल्दी एही काज के पूरा करत
होटल के खुलले से बिहारक लोग के रोजगार ते भेटबे करत संगे राजधानी के विश्वस्तरीय कांफ्रेंस आ आन-आन समारोह के आयोजन के अवसर भेटत।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु