
राहुल जी अपन जीवन के पहिल स्टेज शो अपन कॉलेज के दिन में सहरसा में केलैथि रहे जिनकर नाम रहे नाटक अमली... सहरसा के आह्वान नाट्य मंच पर आर. टी. रंजन के निर्देशन में मंचित ई नाटक सहरसाक लोग के दिल में बैठ गेल आ राहुल तखने से एकटा सशक्त अभिनेता के रूप में उभरल। मुंबई एला के बाद हिनकर पहिल अभिनय रहे बाहुबली धारावाहिक में ललन सिंह के भूमिका। बिहार के बाहुबली नेता पर बनल ई धारावाहिक में राहुल अपन अभिनय के लोहा मनाय देलक। परिणाम सोंझा आयल आ हिंदी फिल्म दिलनशी में काज भेटल। दिन बढैत गेल आ अभिनय निखरैत गेल। आब राहुल जी के पास सिनेमा के भरमार लागल ये। हिनकर मैथिली फिल्म सजना के आँगन में सोलह श्रृंगार दशहरा के सुभ अवसर पर अपना लोकनि के बीच आएत एही में मुख्य भूमिका में राहुल जी छैथ। एकर अलावा जे हिनकर दू टा मैथिली फिल्म कोशी मैया आ सबरी के बैर, आ एकटा हिंदी फिल्म पुष्पांजली सेहो कतार में अछि जे जल्दहीं हमरा सबहक बीच आएत।
राहुल जी के आगामी योजना ये सहरसा जिला में एकटा नाट्य विद्यालय खोलय के ताकि अपन गाम घर के जे कलाकार पैसा के या नीक दिशा निर्देश के आभाव के दम तोड़ी दए अछि से नै होए।
राहुल जी के मातृभाषा के प्रति समर्पण अतुलानिये ये एही मुकाम पर पहुँच कए भी हुनकर अपन मातृभाषा आ मातृभूमि के प्रति लगाव अद्भुत ये। एकर कुनू वर्णन नए करल जाए सकय अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन मोनक भावना के एते राखु