शुक्रवार, 29 जुलाई 2011

एक बेर फेर बिहार भेल आगाँ सुचना के अधिकारक सुनवाई हाएत विडिओ कांफ्रेंसिंग सs

विडिओ कांफ्रेंसिंग स सुचना के अधिकारक अपीलक सुनवाई करय बाला बिहार पहिल राज्य बनि गेल ये। बृहस्पति दिन मुख्यमंत्री नितीश कुमार विडिओ कांफ्रेंसिंग सेवाक उद्घाटन केलैथि। एही मौका पर बिहारक मुख्य सुचना आयुक्त अशोक कुमार चौधरी मौजूद रहे। ओ कहलखिन जे आब अपीलकर्ता आ लोक सुचना अधिकारी कए सुचना आयोगक सोंझा पेश होएक लेल पटना आबय के जरुरत नै रहत आब ओ अपन जिला आ प्रखंड में बैसल बैसल एतोका सुनवाई में भाग लए सकय ये। अपन उद्घाटन भाषण में मुख्यमंत्री जी कहलखिन जे आब प्रखंड के सेहो विडिओ कांफ्रेंसिंग से जोड़ल जाएत

मुख्यमंत्री जी कहलखिन जे जानकारी कॉल सेंटर में ९३ हजार से बेसी लोग जानकारी लेलक ये
। ओ कहलखिन जे जानकारी कॉल सेंटर से जानकारी माँगय बला एक लाखवा व्यक्ति के सुचना आयोग पुरस्कृत करतएही समारोह में केंद्रीय मुख्या सुचना आयुक्त सत्यानन्द मिश्र कहलखिन जे अधिकारी सुचना दए में आनाकानी करय ये आ एही से जनता में विश्वास के जे संकट पैदा भए रहल ये एही कानून ओकरा दूर करतओ बिहार विकास के लेल टेक्नोलोजी के बेसी स बेसी प्रयोग करय पर जोड़ देलक। राज्य सरकार के एही कदम सचमुच में सराहनीय अछि की नै ई ते बाद में देखल जाएत मुदा विडिओ कांफ्रेंसिंग सेवा प्रदान करय बला कम्पनी के प्रमुख आ वैज्ञानिक वीसी राय सरकार के एही कदम पर सवाल उठेलक ये। हुनकर कहने ये जे राज्य सरकार अपन ब्राडबैंड के ते सही तरीका सा चलाय नै पाबी रहल ये मुदा ई की खाक चलत। हुनकर कहनाय ये राज्य के आलाधिकारी प्रोजेक्ट शुरू करय के आश्वाशन ते देलक ये मुदा एही प्रोजेक्टक लए के ओ नितीश जी स पिछला १५ दिन स मिलय लए चाहि रहल छी मुदा हुनका कियो मिलय लए नै दए रहल ये। ओ कहलखिन जे एही मामला के हम कोर्ट तक लाए जायब

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु