शुक्रवार, 1 जुलाई 2011

बिहारक दूध बनायत सबहक सेहत...

बिहारक दूध के मज़ा आब गामक लोग संग बड़का-बड़का कम्पनी के भी रास आबय लागल ये। याह कारण ये की आब नेस्ले, आईटीसी आ अमूल जेहन कम्पनी  राज्य में निवेश करय के लेल आगाँ आबि रहल ये। अमूल ब्रांड के डेयरी उत्पाद बेचय बाला कम्पनी गुजरात सहकारी दुग्ध विपणन महासंध तs बिहार से दूध के खरीद शुरुओ कए देलक ये।
राज्य के उधोग विभाग के प्रधान सचिव श्री सी के मिश्र के कहनाय ये जे बिहारक दूध के लेल कैकटा कम्पनी के प्रस्ताव भेटल ये मुदा एकरा में आईटीसी आ नेस्ले के प्रस्ताव राज्यक लेल अहम् अछि। आईटीसी मुंगेर के सीताकुंड में एक सौ चालीस करोड़ के लागत से दुग्ध प्रसंस्करण केंद्र खोलत। ओ नेस्ले के तरफ से भी प्रस्ताव भेटय के गोप कहलक मुदा ओकर बारे में कोनो ब्यौरा नै देलक। ओ कहलखिन जे नेस्ले के तरफ से भी निवेश के प्रस्ताव भेटल ये मुदा एही बारे में हम अखन नीक जोंका नै कहब फिलहाल राज्य सरकार एकरा पर विचार कए रहल ये। ओना सरकारी सूत्र के कहनाय ये जे कंपनी एही पर गंभीर ये आ ओ राज्य में जगह के तलाश कए रहल ये। कयास एहन लागायल जाय रहल ये की कम्पनी एता २०० से ३०० करोड़ लगेबाक तैयारी में लागल अछि।
गुजरात सहकारी दुग्ध विपणन महासंध सेहो बिहार से दूध खरीदय के पुष्टि केलक ये हुनकर कहनाय ये जे हम गुजरात से बाहर दूध ख़रीदे के कोशिश में लागल छी आ बिहार एही के लेल एकटा अहम् राज्य ये। ओ कहलक जे हम एतोका दुग्ध उत्पादक के दोसर सहकारी डेयरी के मुकबला में अच्छा कीमत दए सकब।
ज्ञात होए की अखन बिहार के दुग्ध उत्पादन पर खाली सुधा टा के कब्ज़ा ये। राज्य के ९० फीसदी बाज़ार अखन एकरे हाथ में ये। बिहार के दुग्ध उत्पादक से रोज तकरीबन २५ लाख लीटर दूध के उत्पादन होए ये जाही से १३ लाख लीटर दूध खाली सुधा किनय ये।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु