बुधवार, 29 जून 2011

बिहार सरकार करत हरेक पंचायत में लोकपाल के नियुक्ति...

बिहार सरकार पंचायत स्तर पर लोकपालक नियुक्ति के योजना बना रहल ये जे सरकार के राज काज पर ध्यान देत। ई बात के जानकारी दैत मुख्यमंत्री नितीश कुमार कहलक जे पंचायत के केंद्र आ राज्य सरकार से विभिन्न योजना से बहुत टका जाए ये मुदा ओ पाई के उपयोग केना होए ये एकरा लेल मोनिटिरिंग के कुनू व्यवस्था नै ये
ओ कहलखिन जे भ्रष्टाचार विरोधी कानून खालि पैघ शहर टा के लेल नै मुदा ई हरेक गाम आ पंचायत में होना चाहीहुनकर कहनाय ये जे भर्ष्टाचार खालि बड़का शहर में होए ये एहन नै ये गाम में भी शहर के भिन्न-भिन्न योजना से ढेर पैसा आबय ये आ एकरा में कतेक भर्ष्टाचार होए ये तकरा लेल हरेक पंचायत से लए के जिला स्तर तक एकटा लोकपाल होना चाही।
बैठक में ओ कहलखिन जे बिहार में वित्तीय लेनदेन के निगरानी के लेल हरेक पंचायत में मुखिया आ सरकारी प्रतिनिधि के मदद से एकटा लोकपाल के नियुक्ति हेतेय जिनका ई अधिकार हेताs की ओ कुनू भी सरकारी कर्मचारी आ जनप्रितिनिधि के खिलाफ
याचिका दायर कए सकय ये। आब जखन पूरा देश में लोकपाल बिल के लेल सरगर्मी के माहौल मे अछि ओ समय में माननीय मुख्यमंत्री नितीश कुमार के ई कदम सम्मानानिये ये आ भ्रष्टाचार के ख़तम करय के लेल एकटा पैघ कदम सेहो ये

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु