शनिवार, 18 जून 2011

दू करोड़ टका भी खर्च नै काए पाबय ये सांसद...

अहाँक याद हाएत जे सांसद अपन कोष के बढ़ाबै के लेल कतेक हल्ला मचेलक रहे। आब जखन हुनकर सांसद कोष बढ़ि के पाँच करोड़ टका भए गेल ये ते आब ओ अपन कोष के दू करोड़ टका भी खर्च नै काए पाबि रहल ये। सबसे पैघ गप ई की टका खर्च नै करय में सबसे आगू अपन बिहार के सांसद छल। देश भर में सांसद कोष में करीब चौबीस हज़ार करोड़ टका के उपयोग नै भेल ये जाही में सबसे बेसी साढ़े छः सौ करोड़ टका बिहार के सांसद निधी के अछि। केंद्र सरकार के संखिकीय एवं कार्यक्रम मंत्रालय १३ जून सांसद के काज के जायजा लेलक आ बिहार से पैघ अधिकारी के साथ मीटिंग कए के हुनका बतेलक जे सबसे बेसी खर्च नै होए बला पैसा बिहार के सांसद के पास अछि। लोक-सभा आ राज्यसभा के कुल मिलाके ५६ टा सांसद के पास छः सौ करोड़ टका अखन एहन ये जे ओ खर्च नै काए पैलक ये। एकरा में एक सौ नब्बे करोड़ टका ते खाली मासिक रोपोर्ट आ उपयोगिता प्रमाण पत्र नै  मिलए के कारण रुकल ये। मंत्रालय के कहनाय ये जे जों ई पैसा के सभ सांसद अपन अपन क्षेत्र के विकाश के लेल खर्च करय ते अपन क्षेत्र के सूरत बदैल सकय ये

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु