गुरुवार, 23 जून 2011

एवोन साइकिल खोलत बिहार में अपन साईकिल एसेम्बल के सयंत्र...

ई साल के अंत तक एवोन साईकिल खोलत बिहार में अपन सयंत्र जाही में साईकिल के निर्माण हाएत। एवोन साईकिल में मेनेजिंग डाइरेक्टर कहलक जे बिहार सरकार के आमंत्रण पर हम बिहार में अपन एस्म्बलिंग कारखाना खोलय के विचार केलोंउ ये जे ई साल के अंत तक स्थापित भए जाएत। ओ कहलक जे कंपनी करीब पाँच सौ करोड़ के लागत से ई कारखाना खोलत जाही में हरेक दिन एक हज़ार से पन्दरह सौ साईकिल के निर्माण हाएत।  ओ कहलक जे अखन बिहार में साईकिल के पुर्जा के निर्माण के लेल जगह आ मशीन नै भेटल ये ते दुवारे हम अखैन खाली एसेम्बलिंग के काज करब। एता अहाँक बता दी जे बिहार सरकार हीरो साईकिल आ एवोन साईकिल के बिहार के हाजीपुर में अपन सयंत्र लगाबै के लेल आमंत्रित केलक रहे कियाकि हुनका 'बालिका साईकिल योजना'  के लेल किछु ज्यादा साईकिल के जरूरत ये। साईकिल निर्माता के अनुसार राज्य सरकार ई वित्तीय वर्ष में तेरह लाख साईकिल निर्माण के आदेश देत जकर सबसे बेसी फायदा पंजाब उठेता कियाकि ओतोका लुधियाना सयंत्र ई मांग के पचासी फीसदी पूरा करय के लेल सक्षम ये। हीरो साईकिल बला सेहो एताको प्रस्ताव पर ध्यान देलक ये ओ सर्वेक्षण कराs रहल ये मुदा अखन धैर कोनो जमीनी कारवाही नै केलक ये
दरअसल राज्य में पिछला साल करीब पच्चीस लाख साईकिल के बिक्री भेल रहे। आ अखन तक राज्य में साईकिल में जबरदस्त मांग रहे मुदा राज्य सरकार के  दोसर-दोसर राज्य पर निर्भर होए ले पड़य रहे। ते दुवारे राज्य सरकार हीरो साईकिल आ एवोन साईकिल के लग प्रस्ताव देलक रहे ताकि घर के पैसा घर में ही रहे। ओना बिहार के एही साईकिल बाज़ार पर चीन सेहो नजैर गड़ेने रहे। मुदा देखियो आब की होए अछि। ओना
एकरा से पहिने ऑकपेट बाइसाइकिल्स सेहो चीन से कलपुर्जा मंगाय के बिहार में एकर एस्म्बलिंग के कारखाना खोलय के गप कहलक रहे आ ओकर सयंत्र के काज सेहो शुरू भए गेल रहे मुदा अखन धैर ओ कारखाना शुरू नै भेल ये

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु