
१,८५,००० वर्ग मीटर में बनय बला ई मॉल आठ मंजिला रहत जाही में निचलका मंजील आ ऊपर के दू मंजिल खुदरा सामान के लेल रहत, तेसर मंजिल भोजन आ मनोरजन के लेल रहत आ चौथम आ पाँचम मंजिल तीन टा स्क्रीन बला मल्टीप्लेक्स के लेल रहत। एकर संग मॉल में ४७,००० वर्ग मीटर के पार्किंग बेसमेंट के दू टा मंजिल आ २५,००० वर्ग मीटर के अलग से बाहर में पार्किंग के व्यवस्था रहत।
एस.टी. मार्केटिंग प्राइवेट लिमिटेड के डाइरेक्टर शास्वत कुमारक अनुसार " हमरा विश्वास अछि जे मुजफ्फरपुर आ बिहार लोग एता विश्वस्तरीय शॉपिंग के मज़ा लए सकत। ओ कहलखिन द्वारका सिटी सेंटर एतोका लोग के संपूर्ण मनोरंजन, खाद्य पेय, आ खरीदारी के लेल अपना आप में एकटा सम्पूर्ण जगह बनत"।
एही मॉल के निर्माण मुख्या रूप से परिवारक मस्ती आ मनोरंजन के लेल ते बनबे करत संगे एतोका स्थानीय लोग के लेल रोजगार के अवसर सेहो आनत। सबसे बड़का गप जे एही मॉल के कमाई के पाँच प्रतिशत राशी गरीब आ कमजोर तबका के लोग के बेटी के पढाई में लागायल जाएत।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन मोनक भावना के एते राखु