
वी मार्टक मेनेजिंग डाइरेक्टर ललित अग्रवालक अनुसार... वी मार्ट आब छोट शहरक तरफ बेसी ध्यान दए रहल अछि। खास कए के टायर २, आ टायर ३,आ टायर ४ शहर मे जकर आबादी ३० लाखक आसपास होए। कियाकि एही छोट शहर के लोग के फैशन इंडस्ट्री के बारे मे ओते पता नै होए ये। एतोका लोग के पास पैसा तs खूब होए अछि मुदा कपडा ख़रीदे के बारे मे सही जानकारी आ नब-नब फैशन के बारे मे पता नै होए अछि। एही सभ कए ध्यान मे राखत कम्पनी एही जगह पर विशेष ध्यान दए रहल अछि।
हुनकर अनुसार वी मार्ट मुख्य रूप से युवा वर्ग के आकर्षित करय के लेल काज कए रहल अछि। हुनकर अनुसार हम अपन ब्रांडिंग मुख्य रूप से फिल्म से चुनय छी आ हमर कम्पनी के टाय-अप भी ढेर रास फिल्म से खास कए के टी-सीरिज फिल्म्स के संग बेसी ताहि दुवारे एता अहाँक नब-नब ब्रांड आ फैशन के कपड़ा भेटत।
कम्पनी के रवैया देखत एकटा बात ते साफ़ भए गेल ये की बिहार किछु दिन मे ब्रांडेड कपड़ा के मामला मे दिल्ली पंजाब के टक्कर मे आयब जाएत। ज्ञात होए की किछु दिन पहिने लिलिपुट आ ओरियेंट क्राफ्ट सेहो अपन कम्पनी बिहार के खोललक ये।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन मोनक भावना के एते राखु