बुधवार, 22 जून 2011

बिहार में खुलत चौतीस टा पॉलिटेक्निक

बिहार में खुलत चौतीस टा पॉलिटेक्निक ई बात कहलक राज्य के विज्ञानं आ प्रावेधिकी मंत्री गौतम सिंह, ओ कहलक जे पॉलिटेक्निक विहीन २८ टा जिला में एक-एक आ छः टा पिछड़ल जिला अलग से एक-एक टा कालेज खोलल जाएत

कैकटा पॉलिटेक्निक के लेल जमीन देखल जाए चुकल ये संगे इहो कहल गेल ये पॉलिटेक्निक के नाम पर जे कियो पाँच एकड़ जमीन देता हुनके नाम पर पॉलिटेक्निक बनायल जाएत।
अखैन धैर छह टा लोग अपन जमीन देलक ये, नालंदा, लखीसराय, रोहतास, कटिहार, वैशाली, सीतामढ़ीम शिवहर, आ मधुबनी में जमीन राजस्व विभाग से हस्तांतरित कए देल गेल ये।

कैकटा जिला में निर्माण के लेल राशी सेहो पठा देल गेल ये। मने आब समय आबि गेल की आहों के घर के पास एक पॉलिटेक्निक भेटत, सुशासन के ई नीक पहल अछि बिहार निर्माण के लेल।

1 टिप्पणी:

अपन मोनक भावना के एते राखु