गुरुवार, 3 मार्च 2011

"मानवता के मिशाल बनल सहरसा के पुदीन"

दहेज़ के दीवार के तोइड के सहरसा के पुदिन राखलखिन अनाथ के संगे विवाहक प्रस्ताव | कुसहा के त्रासदी में अनाथ भेल नीलम जल्दे बनत दुल्हन| जायत,धर्मं, आ साम्प्रदाय से कनी ऊपर उठ के पुदीन राखलक विवाहक प्रस्ताव, हुनकर प्रस्ताव के अनाथ आश्रम स्वीकार करैत १३ मार्च के विवाहक दिन तय केलक| जाही में बेन्ड बजा के साथ नीलम के डोली में बेसबाक योजना बनल अछि|
                        कुसहा बांध के टूटै के बाद आयल भीषण त्रासदी में आपन माँ बाप स बिछरल१९ वर्षीय  लड़की सहरसा में भेटल रहे, जाकर आंकाक्षा अनाथ आश्रम में शरण भेटल| आपान नाम आ पता बताबै से असमर्थ ओ लड़की के अनाथ आश्रम में एकटा नबका नाम भेटल 'नीलम ' | अनाथ आश्रमक संचालक पाहिले ते लड़की के माँ बाप के खोज करलक मुदा जखन कोनो जानकारी नै भेटल तै जवान होयत नीलम के विवाहक चिंता सताबे लागल, कइयो टा अनाथ आश्रम में विवाह के लेल प्रस्ताव भेजल गेल जाही के बाद सोनवरसा कचहरी के धकजरी ग्रामक निवाशी २५ वर्षक 'पुदीन कुमार उर्फ़ सुधीर यादव' विवाहक प्रस्ताव राखलक जाकर स्वीकार करै के बाद लेख्य प्रमाणक के माध्यम सों सपथ पत्र बनाओल गेल | जाही में कहल गेल की आपन मर्ज़ी आ परिवारक सहमती सों हम ई विवाह क रहल छि आ पति के धरम आ समाजीक रूप सों हरदम हम एही बंधनक निर्वाह करब पुदिन जी कहलक जे आखिर ई अनाथ कता जायत याह सोइच के हम ई विवाहक प्रस्ताव रखलाहूँ| किसानक परिवार में जनमल पुदिन के दहेजो से कोनो लोभ नै अछि| अनाथ आश्रमक के संचालक शिवेंद्र कुमार दूल्हा के बाराती के साथ आबय लेल  कहेथ छेथ|
                         नीलम के कन्यादान बाल अधिकार संरक्षण परिषद पटना के सदस्य अर्पणा सिंह करत ओ कहलखिन जे १३ मार्च के विवाहक तिथि तय कायल गेल आ हिन्दू रीती रिवाज सों नीलम के विवाह कायल जायत जाही में जिला के सबटा पैघ अधिकारी के नौत देल जायत| पुदिन के ई कदम के जतेई भी तारीफ़ करल जाय ओ कम हायत मुदा हम ते याह कहब की अखनो कल मिथिला आ मैथिल के पास ओ करेजा ये जकरा लेल मिथिला के आय धेर गुमान ये |

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु