सोमवार, 28 मार्च 2011

मिथिला के बेटी एक बेर फेर करलखिन माँ मैथिलि के मान ऊँचा

मिथिला के नाम एक बेर फेर रोशन करलखीन हुनकर बेटी, मिथिला के नाम के एक बेर फेर पूरा भारत में ऊँचा कए के प्रतिभा जी साबित कए देलक की अखनो तक मिथिला में प्रतिभा के कमी नए येमधुबनी जिले के बेनीपट्टी प्रखंड के जरैल गाँव आ वर्तमान में स्थानीय बिनोदानंद झा कालोनी निवासी प्रतिभा कुमारी इग्नू द्वारा संचालित पोस्ट ग्रेजुएट डिप्लोमा इन रुरल डेवलपमेन्ट कोर्स में प्रतिशत 71.74 अंक प्राप्त कए के  गोल्ड मेडल प्राप्त केलखिन येदरभंगा प्रक्षेत्र में गोल्ड मेडल पाबय वाली ई पहिल छात्रा ये जिनका ३ अप्रेल के संचार केंद्र,इग्नू कैम्पस,न दिल्ली में केंद्रीय मंत्री कपिल सिब्बल से हाथ सों गोल्ड मेडल आ प्रमाण पत्र देल जायत। शुरू से ही ओ बहुमुखी प्रतिभा के धनी रहथिन एम काम के परीक्षा में ६३प्रतिशत अंक आ डिप्लोमा इन कंप्यूटर एप्लीकेशन के परीक्षा में ७० प्रतिशत अंक प्राप्त केलखिन ये
 
मिथिला के नाम एक बेर फेर रोशन करलखीन हुनकर बेटी, मिथिला के नाम के एक बेर फेर पूरा भारत में ऊँचा कए के प्रतिभा जी साबित कए देलक की अखनो तक मिथिला में प्रतिभा के कमी नए ये
एता अहाँ के ई बताय दी की प्रतिभा जी मधुबनी जिला के जानल-मानल डॉक्टर शैलेन्द्र नाथ झा के पुत्रवधू ये। अखन प्रतिभा जी मिथिला विश्वविद्यालय से कामर्स से पीएचडी का रहल ये ओ अपन ई सफलता पर बहुत खुश ये आ अपन सफलता के श्रेय अपन श्वसुर आ सास के देय छथिन
 प्रतिभा जी के प्रतिभा के देखयत ते याह कहल जाय सकय ये की आब लोग बाग़ ई नै समझै की बेटी के बियाहक बाद हुनकर काज खाली चूल्हा चौका ही रही जाय ये,मुदा आब चूल्हा चौका के साथ-साथ एतबा पैघ उपलब्धि अपना आप में एकटा उदाहरण ये।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु