शनिवार, 23 अप्रैल 2011

नेता -:

सबटा चोर
मरय केर बाद
बनल नेता

गिरगिट सों
रंग बदलनाय
सिखलक ये

मुहं में राम
बगल में छुरी के
करैत सिद्ध

वोटक लेल
लगेता दाँव पर
आँखिक लाज

सात पुश्त भी
नेहाल भए जेता
बनिके नेता

निगैल गेल
सुरसा बनि केर
सोंसे देश के

नेताक नाम
सुनैय में लागय
जेना गारि ये

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु