गुरुवार, 14 अप्रैल 2011

बिहार केलक मिशाल कायम दोसरो राज्य करे लागल अनुकरण...

महाराष्ट्र विधानसभा बिहार के अनुकरण करैत बुध दिन एकटा एतिहासिक विधेयक पारित केलक। विधेयक में राज्य के पंचायत,जिला परिषद्,नगर निगम आर नगर परिषद् में महिला के ५० फीसदी आरक्षण दए के प्रावधान केलक ये।
बंबई ग्राम पंचायत अधिनियम १९५८ आर महाराष्ट्र जिला परिषद् आ पंचायत समिति अधिनियम-१९६१ में संशोधन करल गेल जाकर में आब स्थानीय निकाय में महिला के आरक्षण के बढ़ाये के ३३ फीसदी से ५० फीसदी कए देल गेल ये। ई विधेयक के चर्चा के बाद सर्वसम्मति से पारित कए देल गेल जैs लेल लगभग सबटा दल के लोग अपन पार्टी लाइन से उठि के एकर समर्थन केलक।
एते अहाँ के बताs दी बिहार,झारखण्ड,पश्चिम बंगाल आदि कुछ राज्य में पाहिले से महिला सब के ५०% आरक्षण मिल चुकल ये। जकर अनुकरण आब दोसर राज्य भी करय लागल ये।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु