सोमवार, 25 अप्रैल 2011

दहेज़ मुक्त मिथिला


सुरसा जोंका/ फ़ैल रहल छैक/ सोंसे देश

बरद जोंका/ अपन सपूत के / बेचि रहल


दहेज़ केर/ लगेलक दांव पर /आँखिक नोर


बिकल खेत/
झोपड़ी आ मड़ैया/ बेटीक लेल

ख़तम करू/ ई महामारी कए/ लियो शपथ


जन्म लेलों ये/ जों मिथिलांचल में/ उतारू क़र्ज़


जों छि मैथिल/ दहेज़ मुक्त मिथिला/ से जुड़ि जाऊ

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन मोनक भावना के एते राखु