
एक तं गरमी तत पड़ि रहल छैक जे जीना मुहाल अछि दोसर से बिजली ऐना भेदभाव करय ये जेना सौतेली माय। सब लोग एके टा राग अलापने छैक जे चंदवर आर मिस्कॉट सब स्टेशनों के साथे विद्युत विभाग भेदभाव बरैत रहल ये। दोसर फीडर के तुलना में एता बहुताहिं कम बिजली भेट रहल ये। बिजली के ऑफिस में बिल जमा करबाक लेल भीड़ के रेलम-पेला होए ये मुदा अखनो धैर ओता काउंटर नै बढ़ायल गेल ये। मुदा बिजली विभाग भी विवश ये जाते गरमी के समय ढाई से तीन हज़ार मेगावाट बिजली के जरुरत होए ये ओतय केंद्र से मात्र आठ सौ से नौ सौ बिजली भेट रहल ये जाही में साढ़े तीन सौ मेगावाट बिजली इमरजेंसी सेवा के लेल रहय ये। कहलगांव आ कांटी सेवा ठप्प पड़ल ये कोहना के बरौनी से पचास मेगावाट बिजली भेट जाय ये सेहो में कोयला पानी के समस्या आ जर्जर तार पिंछा नै छोडि रहल ये। कुल मिला कए कही ते सरकार भी लाचार ये। केंद्र सरकार हिनकर किछु सुनय ये ते दुआरे याsह हाल बनल ये।
लोग के भीड़ के शांत करय के लेल ओतका जीएम् जल्द हीं बिजली समस्या के सुलझाबै के आश्वासन देलक ये मुदा ई खाली आश्वासन ये आ अए ये किछु काज भी हेतय ई ते आगाँ देखल जाओ... जय मिथिला- जय मैथिल।।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन मोनक भावना के एते राखु